म्युजिकल्ली
विकासकर्ता(सभ) | म्युजिकल्ली निगम (अप्रैल २०१४–नवम्बर २०१७) बाइटडान्स (नवम्बर २०१७–अगस्त २०१८) |
---|---|
प्रारम्भिक संस्करण | अगस्त २०१४ |
सञ्चालन प्रणाली | आइओएस, एन्ड्रोइड |
प्रकार | श्रव्य दृश्य साझेदारी |
अनुमति पत्र | प्रयोगका सर्त सहितक स्वामित्व सफ्टवेयर |
वेबसाइट | musical.ly |
म्युजिकल्ली हाल टिकटोक साङ्घाईमे मुख्य कार्यालय आ दोसर कार्यालय सान्टा मोनिका, क्यालिफोर्नियामे रहल एक सामाजिक सञ्जाल सेवा छल जे अप्पन प्रयोगकर्तासभकेँ छोट ठोर समक्रमण कएल श्रव्य दृश्यसभ सृजना आ साझा करवाक अनुमति दैत छल।[१][२]एकर पहिल परीक्षण संस्करण अप्रैल २०१४ मे जारी कएल गेल छल तँ एकर आधिकारिक संस्करणक सुरुवात ओहि वर्षक अगस्त महिनासँ सुरू कएल गेल छल। ई एकटा एहन सेवा छल जे एकर प्रयोगकर्ताकेँ भिन्न भिन्न श्रव्यमे ठोर समक्रमण करैत अभिव्यक्ति दऽ अप्पन श्रव्य दृश्य निर्माण करवाक सुविधा दैत छल आ ओ श्रव्य दृश्यसभ १५ सेकेन्डसँ १ मिनेटधरि होएत छल। एहिमे द्रूत, देरी जका भिन्न भिन्न गति विकल्प आ अनेक चुनाव प्रभावसभ उपलब्ध छल। एकर आधिकारिक अनुप्रयोग प्रयोगकर्तासभकेँ लोकप्रिय "प्रयोगकर्ता", सामग्री, उच्च प्रदर्शित श्रव्य, ध्वनि आ ह्यासट्यागसभ खोलऽलेल आ ओकरसभक अनुयायीसभसँ अद्वितीय रूपमे अन्तरक्रिया करवाक अनुमति सेहो देनए छल।[३]
सन् २०१५ मे एकर दर्ता भेल प्रयोगकर्तासभक सङ्ख्या कुल १ करोड रहल छल[४] आ एक वर्ष पश्चात् या जुन २०१६ मे, म्युजिकल्लीक दर्ता भेल प्रयोगकर्तासभक सङ्ख्या ९ करोडसँ बेसी पहुँचि गेल छल।[५] सन् २०१७ मई महिनाक अन्त्य दिस, अनुप्रयोगमे प्रयोगकर्तासभक सङ्ख्या २० करोडसँ बेसी पहुँचि गेल छल।[६]
टिकटकक निर्माता बाइटडान्स (अनुवादित नाम) लिमिटेड नामक एक चिनियाँ कम्पनीद्वारा ९ नवम्बर २०१७ मे म्युजिकल्ली निगमकेँ अधिग्रहण करि लेनए छल एकरा २ अगस्त २०१८ मे टिकटकमे समायोजन कएल गेल छल।[७]
इतिहास
[सम्पादन करी]स्थापना
[सम्पादन करी]म्युजिकल्लीक स्थापना अति घनिष्ठ दू मित्र एलेक्स झु आ लुयु याङद्वारा चीनक सङ्घाईमे कएल गेल छल।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Musical.ly CEO阳陆育:C轮前投资方全部退出"। www.yicai.com। अन्तिम पहुँच 2020-05-20।
- ↑ "短视频进入"抖"时代:Muse/抖音/晃咖...为何越抖越受欢迎?"। PingWest 品玩। अन्तिम पहुँच 2020-05-20।
- ↑ Фролов, Андрей (2018-08-02)। "Владельцы караоке-приложения Musical.ly закрыли проект и перевели пользователей в похожий сервис — Соцсети на vc.ru"। vc.ru। अन्तिम पहुँच 2020-05-20।
- ↑ "Musical.ly Signs Its First Major Label Deal with Warner Music"। Billboard। 2016-06-29। अन्तिम पहुँच 2020-05-20।[permanent dead link]
- ↑ "Musical.ly, Apple Music Ink New Partnership, With More to Come"। Billboard। 2017-04-28। अन्तिम पहुँच 2020-05-20।
- ↑ "'स्टार' हुन मन छ ? चलाउनुस् म्युजिकल्ली !"। Lokpath (नेपालीमे)। 2018-05-30। अन्तिम पहुँच 2020-05-20।
- ↑ Kundu, Kishalaya (2018-08-02)। "Musical.ly App To Be Shut Down, Users Will Be Migrated to TikTok"। Beebom (अङ्ग्रेजीमे)। अन्तिम पहुँच 2020-05-20।
{{cite web}}
: CS1 maint: unrecognized language (link)